मुजफ्फरपुर मे खाद्य तेल मे मिलावटक गोरखधंधा के भंडाफोड़

    0
    254

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर मे नकली खाद्य तेलक कारोबार जोर शोर सं चलि रहल अछि। बृहस्पति दिन पुलिसक छापेमारी मे 81 टीन नकली खाद्य रिफाइन तेल जब्त कायल गेल। पुलिस एकटा ठेला चालक समेत 5 गोटे के गिरफ्तार केलक अछि।

    दिल्लीक एकटा कंपनी के प्रतिनिधी नगर थाना क्षेत्रक गोलारोड बाजार मे नकली तेलक कारोबार के शिकायत दर्ज करौने अछि। अहि के बाद नगर थाना पुलिस करीब एक दर्जन दोकान मे छापामारी केलक। तीन दोकान सं ई नकली तेल जब्त कायल गेल अछि।

    नगर थानाध्यक्ष के अनुसार पूरा गिरोह के पकड़बाक लेल कार्रवाई जारी अछि। अहि मामला मे बहुतो लोक के शामिल हेबाक बात सामने आयल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here