मुजफ्फरपुर मे महज 7 दिन मे बनल करोड़ोक दूमंजिला भवन

    0
    273

    पटना, मिथिला मिरर: कतहु सुनलियैया जे, दू करोड़क लागत स बनय वला दू मंजिल इमारत महज सात दिन मे बनि कय तैयार भय गेल हो? यदि नहि त अपडेट भय जाउ। ई चमत्कार बिहारक मुजफ्फरपुर स्थित बाबासाहेब भीमराम अंबेडकर बिहार विवि कय देखेलक अछि। ओतय जाहि भवनक शिलान्यास 25 जनवरी कय कुलपति द्वारा कायल गेल छल, ओकर शुक्रदिन उद्घाटन कय देल गेल।

    दरअसल, मामला पैघ घोटाला के अछि। अहि के उजागर हेबाक बाद विवि प्रशासन के हाथ-पांव फूलय लागल अछि। विवि प्रशासन अहि मामला पर सीधा तौर पर किछु नहि बजबाक लेल तैयार अछि।जानकारी के अनुसार करीब तीन साल पहिने 2014 मे बाबासाहेब भीमराम अंबेडकर बिहार विवि दूरस्थ शिक्षा विभागक भवनक निर्माण के लेल टेंडर निकालने छल। मुदा, अहि टेंडर के रद्द कय नियम के ताक पर राखि विभागीय स्तर पर निर्माण कार्य आरंभ कराओल गेल। निर्माण मे विवि के इंजीनियरिंग विभाग के दरकिनार कय बाहरी इंजीनियर के सेवा लेल गेल। अहि तरह कागज भवनक अवैध निर्माण पूरा भय गेल।

    बताओल जा रहल अछि जे, भवनक शिलान्यास बीतल 25 जनवरी कय कुलपति पंडित पलांडे केने छलह। फेर शुक्रदिन उद्घाटन सेहो करा देल गेल। शिलान्यास के महज एक सप्ताह बाद भवनक उद्घाटन चर्चा मे अछि। विवि के कुलसचिव डॉ. रत्नेश मिश्र कहलनि जे, भवनक शिलान्यास समारोह मे कुलपति नहि आयल छलाह। विवि सिंडिकेट के सदस्य डॉ. हरेंद्र कुमार कहलनि जे, ई पूर्ण घोटालाक मामला अछि, जकर जांच जरूरी अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here