छत्रवृति के कारने विद्यालय मे ग्रामीण लगौलनि ताला

    0
    218

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधवापुर प्रखंडक प्राथमिक विद्यालय सुजातपुर मे छात्रवृत्तिक राशिक भुगतान नहि भेला आ पुरना आय-व्ययक ब्योरा नहि देबा सं तमसायल ग्रामीण मंगलदिन विद्यालय मे ताला बंद कय हंगामा केलक। विद्यालय के प्रधान शिक्षक के खिलाफ जमिकय नारेबाजी कायल गेल। विद्यालयक अव्यवस्था स परेशान ग्रामीण काफी आक्रोशित छलाह। हंगामा के कारण विद्यालय मे छात्रक पठन-पाठन पूर्ण रूपे बाधित रहल।

    आक्रोशित आंदोलनकारी ग्रामीणक आरोप अछि जे, विद्यालय के प्रधान शिक्षक द्वारा पिछला वर्ष बिहार सरकार द्वारा छात्रक बीच वितरित करबाक लेल उपलब्ध कराओल गेल छात्रवृतिक राशि के एखन धरि छात्रक बीच वितरित नहि कायल गेल अछि। अहि के अलावा विद्यालय के पुरान आय-व्ययक ब्योरा प्रधान शिक्षक द्वारा विद्यालय शिक्षा समिति के समक्ष नहि देल जा रहल अछि।

    हंगामा कय रहल आंदोलनकारी ग्रामीण मंजू देवी, कपलेश्वर सदा, पार्वती देवी, तिलक सदा सहित दर्जनो ग्रामीण कहलनि जे, प्रधान शिक्षक द्वारा मनमानी तरीका सं छात्रक बीच बांटबाक लेल सरकार द्वारा जारी छात्रवृतिक राशिक गबन कायल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here