दरभंगा मे कम्प्यूटर ऑपरेटर के भरोसे चलि रहल पशु चिकित्सालय

    0
    240

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मुख्यालय स्थित प्रथमवर्गीय पशु चिकित्सालय के स्थिति बदतर भय गेल अछि। कुव्यवस्था आ विभागीय उदासीनता के कारण पशुपालक मे क्षोभ अछि। पशुक सही तरीका स चिकित्सकीय सेवा संभव नहि भय पाबि रहल अछि। करीब चारि वर्ष पूर्व अहि चिकित्सालय के आधुनिक व सुसज्जित भवन त उपलब्ध करा देल गेल, मुदा संसाधन नगण्य आ स्वास्थ्यकर्मी एकटा नहि अछि।

    फिलहाल ई चिकित्सालय भ्रमणशील पशु चिकित्सा पदाधिकारी के भरोसे अछि। ओतहि कर्मी के नाम पर मात्र कंप्यूटर ऑपरेटर पदस्थापित अछि। ओतहि पशुधन सहायक, रात्रि प्रहरी, पिउन के एक-एक टा पद स्वीकृत अछि, मुदा, सब पद वर्षो स रिक्त। चिकित्सालय परिसर घेराबंदी नहि भेल सं परिसर चारागाह स्थल बनल अछि।

    एतय सीमेन केंद्र सेहो अछि, जतय मौसम के अनुसार 20 स 60 पशुक सीमेन तथा 2 सौ स 3 तीन सौ पशुक इलाज कायल जाइत अछि। बिजली, चापाकल तथा शौचालयक व्यवस्था अछि। ओतहि दवाई अभा वी रहैत अछि। भ्रमणशील पशु चिकित्सा पदाधिकारी डॉ. रमेश प्रसाद रमण के अनुसार उपलब्ध संसाधन व दवाई के बीच पशुक बेहतर इलाज कायल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here