अधिवक्ताक हत्या के विरोध मे मुख्यमंत्री के पुतला जराओल गेल

    0
    184

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: कम्युनिस्ट पार्टी मा‌र्क्सवादी दलसिंगसराय-विद्यापतिनगर लोकल समिति के कार्यकर्ता मंगलदिन अधिवक्ता विजय कुमार पोद्दारक हत्या के विरोध मे शहरक पार्टी कार्यालय स प्रतिरोध मार्च निकाललक। कार्यकर्ता अधिवक्ता के परिवार के मुआवजा एवं परिवारक सदस्य के नौकरी देबाक मांग कय रहल छल।

    अहि दौरान कार्यकर्ता मुख्यमंत्री के खिलाफ जमिकय नारेबाजी केलक। पार्टी रामसेवक रायक अध्यक्षता में कार्यकर्ता हत्याक विरोध मे राष्ट्रीय उच्च पथ संख्या 28 पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक पुतला दहन केलक।

    अहि दौरान सभाक संबोधित करैत वक्ता कहलनि जे, बिहार मे नीतीशक सरकार आब सुशासनक सरकार नहि रहल। बल्कि आब गुंडा राज कायमअछि। जिलाक पुलिस निक्कमा भय गेल अछि। हमार पार्टी लगातार हत्याक विरोध कय रहल अछि, आ ई आंदोलन जारी रहत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here