दू गोट चोर के खदेड़कय पकड़लक ग्रामीण

    0
    158

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: शहरक मेहसौल वार्ड-9 मे मोहल्लावासी एकटा घर स चोरी कय भागि रहल दू टा आरोपी के दबोचिकय पुलिसक हवाले कय देलक अछि। जहन कि आरोपी के अन्य संगी भागबा मे सफल रहल। पकड़ल गेल आरोपी के संग सं शटर व ताला तोड़बाक औजार बरामद कायल गेल अछि। पुलिस दूनू के न्यायिक हिरासत मे पठा देलक अछि।

    जानकारी के अनुसार शनिदिन राति किछु चोर मेहसौल वार्ड-9 निवासी मो. मुस्ताक अंसारी के घर मे घुसि कय चोरी केलक। आवाज भेल पर मुस्ताक के नींद खुजल त ओ छत स 5-6 गोटे के बगल के बगीचा मे उतरैत देखलक। हल्ला के बाद लोक सब खदेड़कय दू गोट युवक के पकड़लक।

    सूचना भेटलाक बाद मेहसौल थाना प्रभारी मो. औरंगजेब आलम, सब इंस्पेक्टर अवनि भूषण, धीरज कुमार सिंह, व रवींद्र सिंह घटनास्थल पर पहुंच कय दुनू के कब्ज़ा मे लेलक। पूछताछ मे दुनू अप्पन परिचय मेहसौल पूर्वी वार्ड-7 निवासी मो. रहमतुल्लाह व मेहसौल वार्ड-3 निवासी मो. नसीरूद्दीन के रूप मे देलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here