समान वेतनक लेल सड़क पर उतरल शिक्षक संघ

    0
    223

    दरभंगा, मिथिला मिरर: बिहार माध्यमिक शिक्षक संघ आ बिहार राज्य प्रारंभिक शिक्षक संघक प्रमंडलीय इकाई तथा प्राथमिक शिक्षक संघ गोप गुटक जिला इकाई के तत्वाधान मे शनिदिन कर्पूरी चौक स लय कय प्रमंडलीय आयुक्त कार्यालय तक शिक्षकक आंदोलन जारी रहल। तीनू शिक्षक संघक मांग मे किछु भिन्नता जरूर छल मुदा, समान काजक लेल समान वेतन के मुद्दा पर सब एक छल।

    प्रदर्शन प्रमंडलीय माध्यमिक शिक्षक संघ के अध्यक्ष मणिकांत रायक अध्यक्षता मे भेल। सभा मे सचिव विजय चंद्र दुबे कहलनि जे, सर्वोच्च न्यायालय समान काजक लेल समान वेतन पर मोहर लगा देलक अछि। ई उचितो नहि अछि जे, एक काजक लेल दू व्यक्ति के अलग-अलग वेतनमान देल जाय। संघ के प्रदेश संयुक्त सचिव सुरेश प्रसाद राय कहलनि जे, समान काजक बदला समान वेतनक लेल शिक्षक आब अंगड़ाई लय चुकल अछि। हम अप्पन एकता के बले सातम वेतनमानक लाभ लय कय रहब।

    सभा के सुनैना कुमारी, रामदयाल चौधरी, कमलदेव,मो. मुस्ताक, निलय कुमार, वेद नन्द झा, राजेश कुमार झा, राणा प्रताप सिंह, समीर अभिषेक, शाह जफर इमाम आ दरभंगा जिला सचिव श्रवण नारायण चौधरी ने सेहो संबोधित केलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here