समस्तीपुर मे विद्युतीयकरण के लय ग्रामीणक आंदोलन

    0
    186

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: प्रखंड के जंदाहा गामक ग्रामीण सोमदिन गाम मे विद्युतीकरण नहि हेबाक लय कांकर घाट पुल के घंटो जाम कय देलनि। जाम के कारण रोसड़ा-बहेड़ी पथ पर यातायता बाधित रहल। लोक शीघ्र विद्युतीकरणक मांग कय रहल छल। लोक बिजली विभाग के एसडीओ एवं कनीय अभियंता पर आरोप लगेलक जे, गामक 150 उपभोक्ता शिविर मे रसीद कटउने छल जकर जानकारी विभागीय पदाधिकारी के देल गेल छल।

    ओतहि, स्थानीय विधायक सेहो पदाधिकारी के उक्त गाम मे विद्युतीकरण के लेल निर्देश देने छल, मुदा विद्युतीकरण नहि कायल गेल। ओतहि दोसर मांग छल जे, कांकर घाट पुल के पहुंच पथ मे पड़य वला किसानक जमीन के मुआवजा जल्द देल जाय। रोसड़ा थानाध्यक्ष मुनीर आलम जाम कय रहल लोक के दूनू मांग पूरा करबाक अश्वासन देलनि। जकरा बाद जाम हटवा देल गेल।

    आंदोलन मे प्रभात कुमार राय, घनश्याम राय, बब्लू कुमार, बैजू राय, जय कांत राय, राज कुमार यादव सहित अन्य ग्रामीण उपभोक्ता मौजूद छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here