हंगामेदार रहल संस्कृत विश्वविद्यालय मे अधिषद् के बैसक

    0
    227

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय मे रविदिनक अधिषद् के बैसक काफी हंगामेदार रहल। सदनक बैसक मे सदस्यक बीच हाथापाई भेल। ओतहि, अधिषद् के सदस्य व राज्य सरकारक मनोनित मदन राय अप्पन पेंशनक मांग के लय अधिषद्क बैसक मे धरना पर बैस गेलाह। कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय के पूर्व कुलपति आरोप लगबैत कहलनि जे, पेंशन मदक 5 करोड़ रुपैया संस्कृत विश्वविद्यालय बैंक मे फिक्स कय देने अछि आ ओहि सं भेटय वला सूदी के इस्तेमाल विश्वविद्यालय कय रहल अछि।

    कुलपति देवनारायण झा अप्पन अध्यक्षीय भाषण मे कहलनि जे, राज्य सरकार स स्वीकृत 4 करोड़ 43 लाख 41 हजार रुपैया स मुख्यालय मे परीक्षा भवनक निर्माण कराओल जा चुकल अछि। जाहि मे एक संग 3 हजार स अधिक छात्र बैसि कय परीक्षा दय सकैत अछि। कुलपति कहलनि जे, विगत वर्ष लगभग 13 वर्षक पश्चात विश्वविद्यालय मे पंचम दीक्षांत समारोहक सफलतापूर्वक आयोजन कायल गेल। अहि के निरंतरता के प्रतित पूर्ण सचेष्ट अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here