सीतामढ़ी मे मांगक समर्थन मे कॉलेज कर्मी देलनि धरना

    0
    258

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: विभिन्न मांगक समर्थन मे शनिदिन नगर स्थित राधाकृष्ण गोयनका कॉलेज परिसर मे कॉलेज कर्मी धरना देलनि। वक्ता सब कहलनि जे, जा धरि मांग पूरा नहि होयत ता धरि आंदोलन जारी रहत। पिछला 19 दिन स लगातार धरना प्रदर्शन जारी अछि मुदा कोनो सुनवाई नहि कायल जा रहल अछि।

    वक्त सब कॉलेज कर्मी के एकता बनाबय राखैत आंदोलन के धारदार बनेबाक अपील केलनि। अहि मांग मे एसीपी व एमएसीपी’क लाभ दैत वेतन भुगतान, ग्रुप इंश्योरेंश मे कटौतीक राशि के भुगतान, सीनेट के लेल शिक्षकेतर कर्मी के एकटा प्रतिनिधिक चुनाव, मृत कर्मचारी के आश्रितक अनुकंपा के आधार पर नियुक्ति, तृतीय व चतुर्थ वर्गीय कर्मचारी के कॉलेजक रिक्त वरीय पद पर पदोन्नति दियेबा इत्यादि शामिल अछि।

    मौका पर जिला मंत्री हरि नारायण चौधरी, मनोज कुमार, शंभू प्रसाद सिंह, महेश कुमार, लालबाबू मंडल, अशोक कुमार, आलोक कुमार, नवनीत कुमार झा, संजय राम, चंदेश्वर ठाकुर, राम प्रवेश साह, उमा शंकर सिंह, रामवरण महतो, बाल कृष्ण ठाकुर, निखिल कुमार गोयनका आदि अप्पन विचार व्यक्त केलनि।

     

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here