लूटक मोटरसाइकिल के संग दू गोट अपराधी गिरफ्तार

    0
    198

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा के जाले थाना क्षेत्र मे रतनपुर-लखनपुर सड़क पर 26 जनवरीक देर साँझ ग्रामीण एकटा व्यवसायी के मोटरसाइकिल लूटि कय भागि रहल एकटा हथियारबंद अपराधी के पकड़ि लेलक। जाहि के बाद ग्रामीण ओकर जमिकय पिटाई कय देलक। बाद मे पकड़ल गेल अपराधी के कमतौल पुलिसक हवाले कय देल गेल। जकरा बाद घटना मे संलिप्त एकटा और अपराधी के गिरफ्तार कायल गेल।

    दुनूक पहचान सीतामढ़ी जिला के रुन्नी सैदपुर थाना क्षेत्रक रामनगर गाम निवासी रमेश मिश्रक पुत्र रवि कुमार आ कटरा थाना के बखडी गाम निवासी पवन पासवान के पुत्र सूरज कुमार के रुप मे कायल गेल अछि। पुलिस दुनूक संग सं एकटा पिस्टल, एक टा थ्री नॉट थ्री के जिन्दा कारतूस आ एकटा  मोबाइल बरामद केलक अछि।

    पुलिस एकटा अन्य आरोपीक गिरफ्तारी के लेल छापेमारी कय रहल अछि। सदर एसडीपीओ दिलनवाज अहमद शुक्रदिन कहलनि जे, जाले प्रखंडक कलवारा गाम निवासी रामज्ञान दूबे के पुत्र मनीष कुमार अपन अपाची सं ससुर लखनपुर जा रहल छल। अहि क्रम मे रतनपुर शिशु मंदिर स्कूल स दू सौ गज आगू एकटा मोटरसाइकिल सवार तीन टा अपराधी ओवरटेक कय हथियारक बल पर मोटरसाइकिल लूटने छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here