समस्तीपुर मे अधिवक्ताक गोली मारिकय हत्या, विरोध मे सड़क जाम

    0
    186

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे शनिदिन साँझ मे एकटा अधिवक्ता के सरेआम हत्या स सनसनी मचि गेल। घटना ओहि समय के अछि जहन ओ न्यायालय सं घर जा रहल छल। जानकारी के अनुसार समस्तीपुर न्यायालय के अधिवक्ता विजय कुमार देर साँझ काली मंदिर के बगल स रेल लाइन पार कय घर जा रहल छल। रस्ता मे काली मंदिरक समीप एकटा अपराधी अधिवक्ता के माँथ मे दू टा गोली मारि देलक। जकरा बाद घटना स्थले पर अधिवक्ता के मौत भय गेल।

    घटनाक सूचना पर पहुंचल पुलिस लहास के कब्जा मे लय पोस्टमार्टमक लेल सदर अस्पताल पठा देलक। अहि बीच आक्रोशित अधिवक्ता व मृतकक परिजन समस्तीपुर-मुसरीघरारी पथ के सदर अस्पताल गेटक समक्ष जाम कय देलक।

    प्रत्यक्षदर्शि के अनुसार एकटा अपराधी रेलवे ट्रैक पर आयल आ पाछु सं अधिवक्ता के माँथ मे गोली मारि देलक, जकरा बाद अपराधी भागि गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here