मधेपुरा मे इंडोर स्टेडियम बनिकय तैयार, जल्दी होयत उद्घाटन

    0
    185

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: मधेपुरा मुख्यालय स्थित तीन करोड़ 13 लाखक लागत सं निर्मित इंडोर स्टेडियमक निरीक्षण बुधदिन डीएम मु. सोहैल केलनि। अहि दौरान खेल पदाधिकारी एवं एलएईओ के कार्यपालक अभियंता सेहो मौजूद छलाह। निरीक्षण के दौरान डीएम कार्यपालक अभियंता के बहुतो दिशा निर्देश देलनि।

    डीएम नवनिर्मित इंडोर स्टेडियम के नीक सं रंगाई-पुताई करबाक लेल आदेश देलनि, संगहि कैंपस मे बेहतर लाइटक व्यवस्था करबाक बात कहलनि। डीएम बाहरी परिसर के चाहरदीवारी स घेरबाक बात सेहो कहलनि। खेल पदाधिकारी मुकेश कुमार के निर्देश देल गेल जे, अविलंब विभाग सं संपर्क कय कबड्डी मेट, कुश्ती मेट एवं टेबल टेनिस टेबुल उपलब्ध कराओल जाय।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here