जेहने साउस तेहने पुतौहकें रिलीज सं पूर्व माधव आ पूनमक संग विशेष बातचीत

    0
    463

    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिवेश झाः आगामी 3 फरवरी 2017 कऽ दरभंगाक लाइट हाउस सिनेमा हाॅलमे गायक सं मैथिली सिनेमा मे अपन सशक्त डेग बढ़ा चुकल माधव राय आ मैथिली मंचक स्थापित गायिका पूनम मिश्र सेहो अपन फिल्मी सफरक शुरूआत कैलनि अछि। फिल्ममे रिना यादव, उषा पासवान आ वैद्यनाथ पटेल सन माजल कलाकार अपन अभियन सं दर्शककें हंसा-हंसा कऽ लोटपोट करताह त पूनम मिश्रक किरदार एकटा एहन मैथिलानी पुतौहक अछि जे कष्ट आ संघर्ष सं लड़ि कऽ एकटा नव कीर्तिमान स्थापित करैत छथि।
    माधव राय मुख्य भूमिकामे बिना कोनो बनावटी रूपें एकटा एक संवाद देवाक कोशिश केलाह अछि आ सिनेमाक अन्य कलाकारक संग-संग गीत संगीत सेहो आम दर्शकें बान्हि कऽ राखत। सिनेमाकें रिलीज तिथि सामने ऐलाक बाद सोशल मीडियाक विभिन्न प्रारूप पर ‘‘जेहने साउस तेहने पुतौह’’ खूब प्रचारित प्रसारित भए रलह अछि। सिनेमा सं पूर्व मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा सिनेमाक दू टा स्तंभ माधव राय आ पूनम मिश्र सं बातचीत कैलनि अछि। त सुनल जाउ बातचीतक अंश…………..
    प्रश्नः अहाँ दुनू गोटे मैथिली गायिकीकंे प्रतिबिम्ब छी, एहेनमे मैथिली सिनेमाकें कोन रुपे देखि रहल छी? चूकि मैथिली सिनेमाक इतिहास नीक नहि कहल जा सकैत अछि, तकरा बादो अहि सिनेमा सं कतेक आश कायल जा सकैत अछि?
    पूनमः आई धरि जतेक मैथिली सिनेमा बनल ओ लगभग दहेज पीड़ितक कहानी पर आधारित छल। मुदा ई सिनेमा ओहि सब सं बिलकुल अलग अछि। ई सिनेमा पूर्ण पारिवारिक सिनेमा अछि। सिनेमा मे साउस पुतौहक दू गोट कहानी के दर्शाओल गेल अछि, जे अपना आप मे रुचिगर आ मनोरंजक अछि। आई कैल्ह समाज मे जे भय रहल अछि वैह देखेबाक प्रयास कायल गेल अछि अहि सिनेमाक माध्यमे। अहि सिनेमा मे दर्शक के सब रस आ पूर्ण मनोरंजनक खोराक भेटतनि।
    प्रश्नः मैथिली सिनेमाक बात करी त एक दशक पहिने ‘ससता जिनगी महग सेनूर’ नामक एकटा सिनेमा आयल छल जे बहुत बेसी लोकप्रिय रहल। ओहि समय मे संचारक अधिक साधन नहि रहलाक बादो ओ सिनेमा घर-घर सं दर्शक के सिनेमा हॉल धरि अनबा मे सफल रहल छल, की ‘‘जेहने साउस तेहने पुतौह’’ सं वैह उम्मीद कायल जा सकैत अछि?
    पूनमः जरूर, अहि सिनेमाक कथा आ कलाकार लोकनिक अभिनय दर्शक के सिनेमा हॉल धरि एबाक लेल मजबूर करतनि।
    प्रश्नः मैथिली मंच पर लगभग एक दसक सं अपने सक्रीय छी आ लोकक स्नेह सेहो खूब भेटल अछि। मुदा एकटा मैथिलानी भऽ कऽ बड़का पर्दा पर काज करबाक केहेन अनुभव रहल?
    पूनमः हमरा बहुत नीक लागल अहि सिनेमा सं जुड़ि कय। जहन हम सिनेमाक स्क्रिप्ट पढ़ने रही तहने अप्पन किरदार सं संतुष्ट भय गेल रही। सिनेमा मे हमर बहुत नीक भूमिका अछि। एकटा पूर्ण मैथिलानी के भूमिका मे छी, जे बहुत आकर्षक अछि।
    प्रश्नः अप्पन श्रोता केँ किछु संदेश देबय चाहब?
    पूनमः हम श्रोता सं आग्रह करबनि जे, अधिक सं अधिक संख्या मे सिनेमा हॉल धरि जा अहि सिनेमा कें देखथि, जाहि सं मैथिली सिनेमा के गति भेट सकय। संगहि हमहुँ सब पुनः एहेन तरहक काज करबाक लेल प्रेरित होइ।
    प्रश्नः माधव भाई जहन अहाँ सं गप्प भेल रहय त अहाँ स्वीकार केने रही जे मैथिली सिनेमाक हाल बेहाल अछि। एहेन मे अहि सिनेमा सं सफलताक कतेक उम्मीद कायल जा सकैत अछि?
    माधवः हमरा त सत प्रतिशत उम्मीद अछि जे ई सिनेमा मैथिली सिनेमाक क्षेत्र मे बहुत किछु करत। जाहि तरह रिलीज हेबा सं पहिने लोक अहि सिनेमाक प्रति उत्सुक छथि ओ अहि सिनेमाक सफलताक गारंटी देबा लेल काफी अछि। लोक बहुत उत्सुकता सं सोशल मिडिया तथा अन्य माध्यमे सिनेमा के प्रचारित कय रहल छथि, तकर बादो यदि सिनेमा नहि चलैत अछि त कलाकारक दुर्भाग्य होयत।
    माधव राय जी आ पूनम मिश्र जी अपनकें बहुत-बहुत धन्यवाद जे अपने लोकिन मिथिला मिररकें एतेक काल सयम देलौह आ संपूर्ण मिथिला मिरर टीम दिस सं सफलताक कामना आ संगहि मैथिल स्त्रोता-दर्शकगण सं विशेष आग्रह जे अपने लोकिन बेसी सं बेसी संख्यामे जा अहि सिनेमाकें देखी आ मैथिली कलाकार लोकनिकें उत्साहवर्धन करैत मैथिली सिनेमा जगतकें मजबूत करी।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here