तिरंगा मे लेपटायल सांप, घंटो करय पड़ल इंतज़ार

    0
    324

    मोतिहारी, मिथिला मिरर: मोतिहारी के कल्याणपुर विधानसभा मे गणतंत्र दिवसक तैयारी के दौरान बुधदिन अजीब मामला प्रकाश मे आयल, जतय झंडा फहरेबाक लेल जाहि पाईप स झंडा के बान्हल गेल छल ओहि पाईप मे ऊपर दिस सं एकटा पुराना गहुमन सांप निकलि कय झंडा स लेपटा गेल।

    सांप घंटो ऊपर मे लपेटल रहल। बाद मे सांप धीरे-धीरे नीचां उतरि कय चलि गेल। मामला मोतिहारी के कल्याणपुर प्रखंडक भुवन छपरा पंचायत अंतर्गत विशुनपुर प्राथमिक विद्यालय के अछि।

    घटनाक्रम आ मामला पर बी.आर.पी. नागेंद्र राम कहलनि जे, हमरा अहि बातक सूचना त भेटल अछि मुदा हम की कय सकैत छी। ओतहि स्कूलक हेडमास्टर प्रमोद कुमार कहलनि जे, झंडा आ पाईप बांधय काल पाईप के सही स नहि जांचल गेल छल। ओ कहलनि जे, ई घटना कोना घटल अहि विषय मे पूर्ण जानकारी नहि अछि। घटना के समय सब डेरा गेल छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here