मतदाता दिवस पर समस्तीपुर मे सांस्कृतिक कार्यक्रम’क आयोजन

    0
    208

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: जिलाधिकारी प्रणव कुमारक अध्यक्षता मे बुधदिन समाहरणालय परिसर मे राष्ट्रीय मतदाता दिवस मनाओल गेल। अहि अवसर पर रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कायल गेल। जिलाधिकारी लोकतंत्रक मजबूतीक लेल 18 वर्ष स अधिक उम्रक सब गोटे के मतदाता पहचान पत्र बनबेबाक, दोसरा के प्रेरित करबाक तथा अप्पन मताधिकारक प्रयोग करबाक अपील केलनि।

    युवा एवं नवपंजीकृत मतदाताक सशक्तिकरण हेतु मतदाता जागरूकता पर आधारित गीत, नृत्य प्रस्तुत कायल गेल तथा नवपंजीकृत मतदाता के बीच जिलाधिकारी द्वारा इपिक के वितरण देल गेल। उत्कृष्ट काजक लेल हरेक विधानसभा के एकटा बीएलओ के जिलाधिकारी द्वारा प्रमाण पत्र देल गेल।

    सांस्कृतिक कार्यक्रम मे बहुतो विद्यालय के बच्चा भाग लेने छल, आरएसबी इंटर विद्यालय, भारत स्काउट और गाइड, सैंट मेरी, टेक्नोमिशन, हॉली मिशन, प्रयास, बालिका उच्च विद्यालय, डीपीएस म्यूजिक एंड आर्ट कॉलेज आदिक छात्र-छात्रा अहि कार्यक्रम मे भाग लेलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here