लनामिविवि मे 36.68 अरब घाटाक बजट पास

    0
    244

    मधुबनी, मिथिला मिरर: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय मे बुधदिन सीनेटक बैसक मे ध्वनि मत सं वित्तीय वर्ष 2017-18 के बजट पास कायल गेल। अहि बेर कुल 36 अरब, 68 करोड़, 4 लाख, 89 हजार, 345 रुपैया घाटाक बजट अछि। डॉ. विनोद कुमार चौधरी बजट प्रस्ताव राखैत कहलनि जे, अहि वित्तीय वर्ष मे कुल व्यय 36 अरब, 75 करोड़, 98 लाख, 31 हजार, 89 रुपैयाक अनुमान अछि।

    अहि में विवि के विभिन्न आंतरिक स्त्रोत स महज 7 करोड़, 93 लाख, 41 हजार, 744 रूपये मात्र आमदनीक अनुमानित अछि। छह खंड मे विभक्त बजट के पहिल खंड मे विवि कार्यालय, स्नातकोत्तर विभाग, अंगीभूत कॉलेज सहित आउटसोर्स व अनुबंध पर नियुक्त शिक्षक व कर्मीक वेतनादि मद मे कुल 2 अरब, 59 करोड़, 93 लाख, 409 रुपैयाक उपबंध कायल गेल अछि।

    दोसर खंड मे सेवा निवृत कर्मी के पेंशनादि मद मे 1 अरब, 80 करोड़, 50 लाख, 9 हजार, 991 रुपैया व्यय के ब्योरा देल गेल अछि। जहन कि, पुनरीक्षित वेतनमान मे पेंशन बकाया मद मे 56 करोड़, 68 लाख, 21 हजार, 549 रुपैयाक उपबंध कायल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here