कूरियर के आड़ मे शराबक तस्करी, सात गिरफ्तार

    0
    226

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा के जाले पुलिस सोमदिन डाकक आड़ मे ट्रेन सं शराब ढुलाई के कारोबारक पर्दाफाश करैत सात गोट कारोबारी के गिरफ्तार कय एकटा पैघ सफलता हासिल केलक अछि। एएसपी दिलनवाज अहमद के अनुसार कारोबारी डाकियाक आड़ मे अवैध शराबक कारोबार कय रहल छल।

    कोलकाता स रक्सोल जाय वला मिथिलांचल एक्सप्रेस ट्रेन स जोगियारा रेलवे स्टेशन पर शराबक खेप उतारल जाइत छल। सोमदिन शराबक पैघ खेप उतारल गेल। जोगियारा रेल गुमटी संख्या 28 पर तीन टेम्पू व एकटा तांगा पर शराबक कार्टून लादल गेल। अहि बीच पुलिसक गठित टीम जाले थनाध्यक्ष रामकिशोर शर्मा के नेतृत्व मे छापा मारि कय शराब के अप्पन कब्जा मे लेलक।

    गिरफ्तार युवक सं करीब पांच लाख रुपैया नकद सेहो बरामद कायल गेल अछि। छापामारी टीम मे अनिबरकु हंसदा, तारिक अहमद अंशारी, सअनि ब्रेजेश पांडये, शिवनाथ यादव, श्याम कुमार, अनिल शर्मा आदि शामिल छल। गिरफ्तार युवक कूरियर के काज करैत छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here