मुजफ्फरपुर मे स्कूल बस दोकान मे घुसल, छह जख्मी

    0
    209

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: काजीमोहम्मदपुर थाना क्षेत्रक एलएस कॉलेज के समीप अनियंत्रित एकटा  निजी स्कूलक बस दू गोटे के ठोकर मारि देलक। जाहि के बाद भगबाक क्रम मे बस एकटा दोकान मे घुसि गेल। जाहि मे आधा दर्जन लोक घायल भय गेल। दू गोटेक स्थिति गंभीर बताओल जा रहल अछि। दोकान सेहो क्षतिग्रस्त भय गेल।

    घटना के बाद स्थानीय लोकक भीड़ जुटि गेल। चालक भागय लागल त लोक सब चाक के पकड़ि कय पीट देलक। स्थानीय थानाक पुलिस मौक़ा पर पहुंचकय चालक के गिरफ्तार केलक। बस के सेहो पुलिस द्वारा जब्त कायल गेल अछि।

    घायल मे एसकेएमसीएच कर्मी सुधीर कुमार आ कंपाउंडर अशोक कुमार शामिल अछि। मेडिकल कर्मीक पैर टूटि गेल छल। थानाध्यक्ष मिथिलेश कुमार झा कहलनि जे, आरोपी चालक पर कार्रवाई कायल जा रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here