फनीश्वरनाथ रेणु’क नाम पर जारी होयत डाक टिकट

    0
    216

    पूर्णिया, मिथिला मिरर: कथा शिल्पी फनीश्वरनाथ रेणुक नाम पर डाक टिकट जारी होबय वला अछि।अहि के लेल रेणु परिवार प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के बधाई देलनि। संगहि रेणु’क गाम समेत पूरा जिला मे ख़ुशीक माहौल अछि। भारत सरकारक सुचना एवं प्रसारण मंत्रालय पर्सनालिटी ऑफ बिहार थीम पर फनीश्वरनाथ रेणु पर डाक टिकट जारी करबाक लय साहित्य अकादमी के एकटा पत्र लिखलक अछि।

    अमर कथा शिल्पी रेणु के फोटो लागल डाक टिकट जल्दिये देखबाक भेटत। सुचना एवं प्रसारण मंत्रालय के पत्र भेटलाक बाद जतय एक दिस रेणु गामक ग्रामीण मे हर्ष व्याप्त अछि, ओतहि फणीश्वरनाथ रेणु के छोट बेटा प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के धन्यवाद दैत हुनका रेणु गाम एबाक न्योता देलखिन अछि।

    गामक गंवई के दुःख दर्द के अप्पन कहानी मे जीवंत करय वला फनीश्वरनाथ रेणु पर डाक टिकट जारी भेनाय मात्र रेणु जी’क सम्मान नहि बल्कि सम्मान ओहि व्यक्ति के अछि जे सामाजिक कुरीति के खिलाफ अप्पन कलमक धार स लड़ैत रहल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here