अवैध वसूलीक खिलाफ एकजुट भेल लोक

    0
    213

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: वाहन चालक सं अवैध वसूली व स्थानीय लोकक गुंडागर्दी के खिलाफ मोर्चा खोलि देल गेल अछि। गणमान्य नागरिकक बैसक मिर्जापुर गाम मे भेल। जकर अध्यक्षता हरेश प्रसाद सिंह केलनि। अहि में स्थानीय स्तर पर विद्यापति परिषद नामक कथित रूप स अवैध संगठनक आड़ मे कतिपय लोकक गुंडागर्दी पर रोकक लेल व्यापक एकजुटताक आह्वान कायल गेल। आगामी 27 जनवरी क सड़क जाम आंदोलन करबाक निर्णय लेल गेल।

    मौका पर कांग्रेस के धीरेन्द्र कुमार सिंह, भाजपा के संजय कुमार सिंह, लोजपा के सुनील सिंह, मणि प्रसाद सिंह, चतुर्भुज प्रसाद सिंह, उमेश, सुरेंद्र, अवधेश, विमल कांत प्रसाद यादव, मुखिया विवेकानंद सिंह, संजीत, दिनेश प्रसाद, पूर्व मुखिया विश्वनाथ कुंवर, बेनी कुंवर, सरपंच रंजीत सिंह, आदि उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here