गाछ सं टकरायल तेज रफ़्तार जीप, एक गोटेक मौत दू गोटे घायल

    0
    248

    सुपौल, मिथिला मिरर: सुपौल जिला के किशनपुर थाना क्षेत्रक महिपट्टी गामक समीप तेज रफ्तार जीप एकटा गाछ सं टकरा गेल, जाहि मे एकटा वृद्ध महिलाक मौत भय गेल। संगहि दू गोटे घायल भय गेल। बताओल जा रहल अछि जे, जिला सहकारिता पदाधिकारी पंकज झा अप्पन सरकारी जीप सं पटना सं सुपौल जा रहल छलाह। तखनहि महिपट्टी गामक समीप वाहन असंतुलित भय गेल। अहि दुर्घटना मे पंकज झा, पंकज झा’क मां चंद्रकला देवी आ चालक घायल भय गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here