मधुबनी मे विद्युत विभागक लचर व्यवस्थाक विरोध मे सड़क जाम

    0
    192

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनीक बासोपट्टी प्रखंड क्षेत्रक मानसिहपट्टी गाम समेत बहुत रास गाम मे बिजली विभाग द्वारा अनियमितताक लेल सोमदिन कलुआही-उमगांव सड़क के पश्चिमी पंचायतक ग्रामीण विद्युत विभागक खिलाफ मुख्य सड़क जाम कय देलक। जामक नेतृत्व रामपुकार मंडल केलनि।

    करीब छह घंटा धरि ग्रामीण विभागीय अधिकारीक खिलाफ जमिकय नारेबाजी केलक। ओतहि मुख्य सड़क जाम रहला सं घंटो धरि राहगीर के परेशानी उठाबय पड़ल। ग्रामीण के अनुसार विद्युत विभागक लापरवाहीक कारने विद्युत सेवा बाधित रहैत अछि। बहुत बेर अधिकारी के सूचना देलाक बावजूद समस्या जसक तस बनल रहैत अछि। बहुत दिन सं लो वोल्टेज सं उपभोक्ता परेशान अछि।

    स्थानीय जेई द्वारा झूठमुठक आश्वासन पर ग्रामीण मे गुस्सा फुटि रहल अछि। मुख्य सड़क जामक सूचना के बाद बासोपट्टी थानाध्यक्ष प्रेमकुमार भारती, बासोपट्टी बीडीओ शतृंजय कुमार पुलिस बलक संग जामस्थल पहुंचलाह। ग्रामीण के आश्वासन भेटल कि जल्दिये विद्युत संबंधित समस्या के दूर कायल जायत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here