समस्तीपुर मे 47 कार्टून विदेशी शराबक संग दू गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    254

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: 47 कार्टून शराबक संग स्थानीय पुलिस दू गोट तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि। जाहि मे एकटा गाड़ी चालक दल सहसराय थाना क्षेत्रक चकबहाउद्दीन गामक राजू दास व दोसर कारोबारी बैकुंठपुर ब्रहंडा निवासी डॉ. महेश झा’क पुत्र संतोष झा शामिल अछि। रविदिन अहि बातक पर्दाफाश करैत एएसपी संतोष कुमार कहलनि जे, उक्त कारोबारी शराब लय ब्रहंडा गाम जा रहल छल। परन्तु पुलिसक सक्रियता सं अपराधी पकड़ल गेल।

    एएसपी मामलाक जानकारी दैत कहलनि जे, मुफस्सिल थाना क्षेत्रक हरपुर एलौथ गाम स्थित एकटा  कबाड़ीखाना मे अवैध शराबक धंधा चलि रहल अछि। ओतहि सं ई शराब आनि रहल छल। बरामद शराबक बोतल मे मैक डूवेल्स, एम्पेरियर ब्लू, बलैक एण्ड व्हाइटक हरियाणा व अरूणाचल प्रदेशक ब्रांड 802 बोतल शामिल अछि।

    पकड़ल गेल कारोबारीक निशानदेही पर कारोबारीक जड़ि तक पहुंचबाक कोशिश लेल लगातार छापेमारी जारी अछि। जल्दिये पुलिस एकर मुख्य कारोबारी के गिरफ्तार कय लेत। मौका पर थानाध्यक्ष मधुरेन्द्र किशोर व अन्य पुलिसकर्मी मौजूद छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here