मिथिला ज्ञानहिं टा नहि वीरक भूमि सेहो अछि : रंगनाथ

    0
    250

    मधुबनी, मिथिला मिरर: अंधराठाढ़ी मे मिथिला विजय के प्रतीक कन्दर्पी घाट पर पुष्पांजलि समारोह दिवस धूमधाम सं मनाओल गेल। अहि समारोह के मुख्य अतिथि मुजफ्फरपुर के अपर समाहर्ता डा. रंगनाथ चौधरी छलाह। चौधरी मिथिला विजय के शहीद के विजय स्तम्भ पर पुष्प अर्पण कय श्रद्धा सुमन अर्पित करैत कहलनि जे, आजुक दिन ऐतिहासिक दिन अछि।

    चौधरी कहलनि जे, ई हमर गौरवशाली परम्पराक ऐतिहासिक स्मृति चिन्ह अछि। विजय सतम्भ अहि बातक प्रतीक अछि जे, मिथिला मात्र ज्ञानक नहि वीरक भूमि सेहो रहल अछि जे समय एला पर दुश्मन के जबाब देबा मे सक्षम अछि।

    समारोह के संयोजक महेश झा कहलनि जे, 20 जनवरी 2010 क वसंत पंचमीक दिन तत्कालीन अनुमंडल पदाधिकारी डॉ. रंगनाथ चौधरी विजय स्तम्भक स्थापना केने छलाह। विजय स्तम्भ मिथिला के राजा नरेन्द्र देवक पटना के सूबेदार अलीवर्दी खान के ऊपर भेटल ऐतिहासिक विजय के प्रतीकक रूप मे बनाओल गेल अछि। अहि के अनावरण तत्कालीन ग्रामीण विकास मंत्री नीतीश मिश्रा 12 फरवरी 2014 कय केने छलाह।था।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here