मुजफ्फरपुर मे बैंककर्मी सं दिनदहाड़े लूटल गेल ढ़ाई लाख रुपैया

    0
    207

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर मे सशस्त्र अपराधी दिनदहाड़े लूटक एकटा पैघ घटना के अंजाम देलक अछि। घटना जिलाक मोतीपुर थाना के बगही के समीपक अछि, जतय मोटरसाइकिल सवार तीन गोट अपराधी एसबीआई के ग्राहक सेवा केन्द्रक संचालक के निशाना बनेलक। अहि दौरान अपराधी संचालक अशोक सं ढाई लाख रुपैया लूटि लेलक।

    संचालक अशोक मुख्य शाखा सं रुपैया लय ठीकहा केन्द्र पर जा रहल छल। अहि दौरान लुटेररा हमला कय लूटक घटना के अंजाम दय भागि गेल। अपराधी अहि दौरान हवाई फायरिंग सेहो केलक। फिलहाल पुलिस मामलाक जांच कय अपराधिक गिरफ्तारीक लेल छापामारी कय रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here