बाढ़ि राहत राशि वितरण मे धांधली के खिलाफ धरना प्रदर्शन

    0
    195

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: पटोरी प्रखंड कार्यालय परिसर मे मंगलदिन विभिन्न पंचायतक बाढ़ि पीड़ित महाधरना देलक। पीड़ित सब पदाधिकारी पर अनियमितताक आरोप लगबैत आगू सेहो आंदोलन जारी रखबाक चेतावनी देलक। स्पष्ट आरोप अछि जे, हजार एहेन परिवार अछि जकरा बाढ़ि ग्रस्त हेबाक बावजूद राहत अनुदान राशि उपलब्ध नहि कराओल गेल अछि। जहन कि अहि के विपरीत एहेन बहुतो परिवार अछि जे, बाढ़ि ग्रस्त नहि हेबाक बादो अनुदान राशिक उठाव केलक अछि।

    लोक सब बाढ़ि ग्रस्त परिवारक सूची मे व्यापक रूप स हेराफेरी करबाक तथा सूची मे गड़बड़ी हेबाक शिकायत सेहो केलक अछि। ज्ञात हो कि अहि सं पूर्व 9 जनवरी कय ताराधमौन के अतिरिक्त विभिन्न पंचायतक बाढ़ि प्रभावित व प्रतिनिधि एक दिवसीय भूख हड़ताल केने छल।

    अहि हड़तालक बाद एसडीओ के निर्देश पर पटोरी के बीडीओ राजेश्वर राम स बात कायल गेल। बीडीओ सीओ के नहि रहबाक कारण 13 जनवरी कय विशेष वार्ताक तिथि दैत भूख हड़ताल समाप्त करबेने छल। निर्धारित तिथि क प्रशासनक दिस सं वार्ताक कोनो पहल नहि कायल गेल। जाहि कारने बाढ़ि पीड़ित परिवार आक्रोशित भय गेल आ पुन: तिथि तय कय मंगलदिन आंदोलनक घोषणा केलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here