फेर बहाल हेताह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय के वीसी देव नारायण झा, उच्च न्यायालय देलक आदेश

    0
    183

    पटना, मिथिला मिरर: पटना उच्च न्यायालय एकटा पैघ फैसला सुनबैत कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय, दरभंगा के हटाओल गेल वीसी देव नारायण झा के पुनः बहाल कय हुनक सबटा बकाया राशिक भुगतान करबाक निर्देश देलक अछि।

    देव नारायण झा के याचिका पर न्यायमूर्ति ज्योति शरण सुनवाई केलनि आ मंगलदिन ई फैसला सुनाओल गेल। गौरतलब अछि जे, साल 2001 मे देवनारायण झा युनिवर्सिटी प्रोफेसर के पद पर प्रोन्नत कायल गेल छलाह। 2014 जनवरी कय हुनका वीसी बनाओल गेल छल, अहि के बाद हुनका विरुद्ध ई आरोप लागल छल जे, हुनका लग वीसी बनबाक आवश्यक योग्यता आ अनुभव नहि छन्हि।

    अहि आधार पर चांसलर हुनका अगस्त 2016 क पद स हटा देने छल। अहि के बाद देव नारायण उच्च न्यायालय मे याचिका दायर केने छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here