दरभंगा मे खूब होइत अछि घरेलु गैस कनेक्शन के व्यवसायिक उपयोग

    0
    193

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक बहादुरपुर मे घरेलू गैस सिलिंडर के व्यावसायिक उपयोग पर प्रतिबन्ध रहलाक वावजूद होटल संचालक, ठेला भेंडर द्वारा धड़ल्ले सं उपयोग कायल जा रहल अछि। ग्रामीण क्षेत्रक बात के कहय शहरी क्षेत्र मे एहेन गैर कानूनी काज पर ककरो नजरि नहीं अछि।

    लहेरियासराय स्टेशन रोड मे अहि तरहक बहुत उदहारण देखबाक लेल भेटत। बहुतो दोकान सिलिंडर के बोरा सं झाँपि कय घरेलु गैस सिलिंडरक व्यवसायिक उपयोग कय रहल अछि। अहि मे दू राय नहि जे, गैस एजेंसी के ठेला भेंडरक मददि सं ऐहेन दोकानदार के घरेलू गैस उपलब्ध होईत अछि।

    एहेन दोकानदार एक त सड़कक अतिक्रमण कय अप्पन दोकान सजबैत अछि ऊपर सं खुलेआम घरेलू गैस सिलिंडरक व्यवसायिक उपयोग सेहो करैत अछि। जहन कि जिला प्रशासन दिस स समय-समय पर घरेलू गैस सिलिंडरक व्यावसायिक उपयोग पर नकेल कसबाक हिदायत स्थानीय गैस एजेंसी संचालक के देल जायत अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here