हमलाक योजना बना रहल छह गोट नक्सली गिरफ्तार

    0
    205

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहारक मुजफ्फरपुर पुलिस छह हार्डकोर नक्सली के गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तारीक बाद पुलिस एकटा पैघ नक्सली घटना के टारलक अछि। गिरफ्तार नक्सली पारुक कर्नपुर भटौलिया गाम मे एकटा नक्सल वारदात के अंजाम देबाक लेल मीटिंग कय रहल छल। गुप्त सूचना भेटला पर ऑपरेशन एसपी राणा ब्रजेशक नेतृत्व वला पुलिस टीम छापेमारी कय छह गोट नक्सली के गिरफ्तार केलक अछि।

    अपराधी के संग सं दू टा देशी पिस्टल, 21 टा कारतूस, 6 डेटोनेटर, दू टा मोटरसाइकिल आ नक्सल पर्चा बरामद भेल अछि। पूछताछ मे ई नक्सली पिछला महीना मे सरैयाक मड़वापाकड़ मे एकता ईंटा भट्टा पर हमला कांड मे संलिप्तता स्वीकारलक अछि। गिरफ्तार नक्सली मे दशरथ राम, संतोष सहनी, मुकेश पासवान, राजेश पासवान, बैजनाथ पासवान आ संजय सहनी उर्फ संजय बिहारी शामिल अछि।

    एसएसपी विवेक कुमार कहलनि जे, नक्सलीक गिरफ्तारी मुजफ्फरपुर के अलावा वैशाली, मोतीहारी, शिवहर आ सारण समेत बहुतो जिला मे नक्सली घटना मे कमी आओत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here