मुजफ्फरपुर के मड़वन मे सीओ तथा जमादार के जिबैत जरेबाक प्रयास

    0
    225

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: करजा थाना क्षेत्रक गोरियारा मे बृहस्पतिदिन अतिक्रमण हाटेबा लेल पहुंचल सीओ सहित पुलिस टीम पर ज्वलनशील पदार्थ फेंककय जिंदा जरेबाक प्रयास कायल गेल। अहि दौरान टीम पर मोबिल तेल व केरोसिन आदि फेंक लाठी-डंडा स हमला कायल गेल। पुलिस टीम कोनो तरह भागिकय जान बचेलक।

    अहि बीच पुलिस एकटा हमलावर दिनेश कुमार के पकड़लक अछि। टीम मे सीओ योगेंद्र प्रसाद सिंह, शनि राकेश रंजन, मुखिया के पति मो. आलम, सरपंच के पति हरेंद्र राय, कर्मचारी रत्नेश कुमार व सीआइ शामिल छल। मामला मे रामचंद्र राय, बबिता देवी, दिनेश कुमार सहित चारि-पांच अज्ञातक खिलाफ एफआइआर दर्ज करबाक आवेदन देल गेल अछि।

    सीओ कहलनि जे, रामचंद्र राय सरकारी जमीनक अतिक्रमण कय शत्रुघ्न राय व रूदल राय के रास्ता रोकि देलक अछि। बहुतो बेर स्थानीय जनप्रतिनिधि मामला सुलझेबाक प्रयास केलनि, मुदा अतिक्रमणकारी नहि मानलक।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here