केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान के मोन खराप, आईसीयू मे भर्ती

    0
    251

    पटना, मिथिला मिरर: बृहस्पति दिन केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान के तबीयत अचानक खराब हेबा के कारने आईसीयू मे भर्ती कराओल गेल। बताओल जा रहल अछि जे, सांस लेबा मे तकलीफक कारने पासवान के अस्पताल आनल गेल।

    केंद्रीय खाद्य एवं जनवितरण मंत्री आ लोजपा प्रमुख रामविलास पासवान के सांस लेबा मे दिक्कत महसूस हेबा पर बृहस्पति दिन साँझ मे पटना स्थित एकटा निजी अस्पतालक आईसीयू मे भर्ती करोल गेल।

    रामविलास के ओएसडी आर. सी. मीणा कहलनि जे, सांस लेबा मे दिक्कत महसूस हेब सं पासवान के पटना स्थित पारस अस्पतालक आईसीयू मे भर्ती करोल गेल अछि। डॉक्टर के अनुसार फिलहाल पासवान के हालत सामान्य अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here