बहार मे शौच सं मुक्त हेबाक कगार पर ‘तूमौल पंचायत’

    0
    249

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: लोहिया स्वच्छ अभियानक तहत घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत तुमौल पंचायत मे हर घर शौचालय निर्माणक कार्य प्रगति पर अछि। एखन धरि लगभग 70% घर मे शौचालय निर्माण कार्य जारी अछि।

    मुखिया द्वारा जल्द सं जल्द अप्पन पंचायत के खुले मे शौच सं मुक्त करबाक अभ्यास जारी अछि। जहन कि एखन धरि घनश्यामपुर प्रखंड मे तुमौल पंचायत व पोहद्दी बेला पंचायतक अलावा कोनो और पंचायत मे शौचालय निर्माण कार्यक अनुमति नहि भेटल अछि। पोहद्दी बेला पंचायत मे सेहो जल्दिये शौचालय निर्माण कार्यक शुरूआत कायल जायत। एखन दरभंगा मे केवल तीन गोट प्रखंड के खुले मे शौच सं मुक्त करबाक प्रयास कायल जा रहल अछि। जकर समय सीमा 31मार्च निर्धारित कायल गेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here