मुजफ्फरपुर मे बेचल जाईत अछि चोरीक गाड़ी, सरगना’क मुखिया गिरफ्तार

    0
    323

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: स्कार्पियोक इंजन काटिकय बेचय वला गिरोहक सरगना के पुलिस बुधदिन मुजफ्फरपुर सं गिरफ्तार कय लेलक। गिरफ्त मे आयल कबाड़खानाक मालिक मो. शमीम उर्फ बिट्टू मुजफ्फरपुर जिलाक भगवानपुर मोहल्ला निवासी मो. हाशिम के पुत्र अछि। ई चांदनी चौक स्थित राहुलनगर मोहल्ला मे कबाड़खाना चलाबैत अछि।

    इंजन खरीदय वला सं पुरान इंजन सेहो लैत अछि। अहि के बाद चोरीक इंजन पर अंकित नंबर के होशियारी सं काटि कय हटा दैत छल। बाद मे ग्राहक द्वारा देल गेल पुरान इंजनक नंबर ओहि पर चढ़ा दैत छल। अहि बातक खुलासा एएसपी दिलनबाज अहमद 11 दिसंबर कय केने छलाह। मुदा, सरगना शमीम उर्फ बिट्टू पुलिस के चकमा दय फरार भय गेल छल।

    हालांकि, ओकरा दोकान सं चोरी के बहुतो इंजन व पार्टस बरामद कायल गेल अछि। अहि मामला मे पुलिस सिमरी थानाक समीप तीन गोटे के चोरीक इंजन के संग गिरफ्तार केने छल। सिमरी थाना मे कांड संख्या 123-16 दर्ज कय नौ गोटे के आरोपी बनाओल गेल छल। कबाड़खानाक मालिक मो. शमीम उर्फ बिट्टू अनपढ़ हेबाक बावजूद अहि धंधा सं करोड़पति बनि गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here