सीतामढ़ी मे नाबालिग के दोबारा अपहरण

    0
    225

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: मुख्य न्यायिक दंडाधिकारी राम बिहारी मेजरगंज थाना क्षेत्र सं नाबालिग के दोबारा अपहरण मामला मे प्राथमिकी दर्ज कय अनुसंधान करबाक आदेश देलनि अछि। न्यायालय मे अहि बाबत अपहृताक मां मुकदमा दाखिल केलनि अछि। ओ कहलनि जे, मंगलदिन रात्रि 1 बजे देसी कट्टाक बल पर हमर नाबालिग बेटी के घर सं जबरदस्ती अपहरण कय लेल गेल।

    बथनाहा के सोनमा निवासी रामधारी तथा परसौनीक परशुरामपुर निवासी लक्ष्मी महतो, भूलन महतो आ दशरथ महतो जीप मे बैसाकय नाबालिग के अपहरण केलक अछि। अहि सं पूर्व सेहो अहि नाबालिगक सीतामढ़ी सं अपहरण कय लेल गेल छल। जाहि संबंध मे सीतामढ़ी थाना मे कांड संख्या 497/16 दर्ज भेल छल। जाहि के बाद पुलिस नाबालिग के बरामद कय न्यायालय मे प्रस्तुत केने छल। न्यायालय के आदेश पर नाबालिग के पिताक घर पठा देल गेल छल। पुलिस ओहि समय मुख्य आरोपी विकास कुमार के गिरफ्तार केने छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here