एतिहासिक होयत मानव श्रृंखला, जागरूकता अभियान जारी

    0
    252

    सुपौल, मिथिला मिरर: सुपौल के श्रीपुर एवं गोविन्दपुर पंचायत स्थित पंचायत भवन के प्रांगण मे आगामी 21 जनवरी कय शराबबंदीक सफलता के लय बनाओल जाय वला मानव श्रृंखलाक लेल अलग-अलग बैसक एवं मानव श्रृंखलाक अभ्यास दूनू पंचायतक मुखिया सत्यभामा देवी व अर्चना देवीक अध्यक्षता मे कायल गेल। बैसक मे सरपंच, पंच, वार्ड सदस्य, जीविका कर्मी, टोला सेवक, तालिमी मरकज शिक्षासेवी, विकास मित्र, आशा दीदी, सेविका आदि हिस्सा लेलक।

    बैठक मे मुख्य अतिथिक रूप मे प्रखंड विकास पदाधिकारी सुनील कुमार गौतम हिस्सा लैत उपस्थित लोक के हौसला आफजाई करैत कहलनि जे, जा धरि जागरूक नहि होयब ता धरि सरकार द्वारा आयोजित ई अभियान सफल एवं प्रभावी ढंग सं कार्यान्वित भेनाय संभव नहि अछि।

    बैठक मे उपस्थित लोक पूर्ण आश्वस्त दैत कहलनि जे, पंचायतक सीमाक मानव श्रृंखला ऐतिहासिक होयत। बैसक मे मुखियाक अगुआई मे पंचायतक सब वार्ड मे साइकिल रैली व अन्य माध्यम सं लोक के बीच अभियान मे हिस्सा लेबाक लेल संकल्पित करौलनि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here