शुक्रदिन नियोजित शिक्षक करताह समाहरणालय परिषर मे प्रदर्शन

    0
    281

    दरभंगा, मिथिला मिरर: सातम वेतनमान सं वंचित रखबाक वित्त सचिवक बयान के बाद शिक्षक के आंदोलन करबा पर उतरि आयल छथि। शिक्षक संघक सरकार सं सातम वेतनमान के लागू करबाक लेल आंदोलनक क्रम शुरू भय गेल अछि। अहि क्रम मे बुधदिन बिहार राज्य प्रारंभिक शिक्षक संघ के सदस्य 13 जनवरी कय कर्पूरी चौक सं पोलो मैदान धरि पैदल मार्च कय समाहरणालयक समक्ष प्रदर्शन करबाक निर्णय लेलनि अछि।

    सरकार सं सातम वेतनमान के क हासिल करबाक लेल शिक्षक एकता देखेबाक बात कहलनि अछि। प्रारंभिक शिक्षक संघक कार्यालय गंगासागर मे बुधदिन समीक्षात्मक बैसक के अध्यक्षता शंभू यादव केलनि। बैसक मे ओ कहलनि जे, सरकार हमेशा हमरा सबहक संग भेदभाव करैत आयल अछि। नियोजित शिक्षकक सातम वेतनमान सं अलग रखनाई सरकारक दोहरी मानसिकता के दर्शा रहल अछि।

    बैसक मे अजय कुमार, सगीर अहमद, जितेंद्र कुमार, मो. जसीम, यासमीन आरा, अजय मिश्र आदि अप्पन विचार व्यक्त केलनि। टीइटी-एसटीइटी उत्तीर्ण नियोजित शिक्षक संघक सदस्य बुधदिन बैसक कय शुक्रदिन मुख्यमंत्रीक पुतला जरेबाक निर्णय लेलक अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here