बिहार कर्मचारी चयन आयोग द्वारा छात्राक प्रवेश पत्र मे लगाओल गेल अश्लील फोटो

    0
    253
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार कर्मचारी चयन आयोग एकटा छात्राक एडमिट कार्ड मे अश्लील फोटो लगा देलक अछि। एडमिट कार्ड इंटर स्तरीय संयुक्त प्रवेश प्रतियोगिता परीक्षा के लेल जारी कायल गेल अछि। ई प्रवेश पात्र आठ जनवरी, 2017 कय जारी भेल अछि। जकर परीक्षा 26 फरवरी कय निर्धारित अछि। छात्रा नालंदाक रहय वाली छथि।
    आब छात्रा अहि एडमिट कार्ड के आधार पर कोनो परीक्षा देत, ई पैघ प्रश्न अछि। अहि सं आयोगक कर्मचारी के कार्यशैली पर सवाल उठैत अछि। आखिर छात्राक तसवीर गायब कय एकटा चर्चित अभिनेत्रीक टॉपलेस फोटो कोना लगाओल गेल। बिहार कर्मचारी चयन आयोग 06060114 / 2014 जारी केने छल। जाहि के बाद छात्रा अहि प्रथम इंटर स्तरीय संयुक्त प्रारंभिक प्रतियोगिता परीक्षा-2014 के लेल आवेदन केने छल।
    छात्राक नाम एकटा चर्चित अभिनेत्री के नाम पर अछि। हालांकि, नाम स टाइटल नहि मेल खाइत अछि। ई एडमिट कार्ड बहुतो व्हाट्सएप ग्रुप आ फेसबुक पर वायरल भय चुकल अछि। एम्हर, वरीय अधिवक्ता अमरेंद्र कुमार सिंह’क कहब छन्हि जे, छात्राक भविष्यक संग ई खिलवाड़ भेल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here