बेनीपट्टी मे 24 किलोमीटर मे बनत मानव श्रृखंला

    0
    244

    मधुबनी, मिथिला मिरर: राज्य मे मद्य निषेध कानून के और अधिक कारगर ढंग सं लागू करबाक उद्देश्य सं आगामी 21 जनवरी कय बनय जा रहल मानव श्रृखंलाक तैयारी के लय बेनीपट्टी प्रखंड मे मोटरसाइकिल जुलूस निकालिकय मानव श्रृखंलाक प्रति लोक के जागरूक कायल गेल। एसडीएम राजेश परिमल तथा डीएसपी निर्मला कुमारी प्रखंड कार्यालयक निकट सड़क पर मानव श्रृखंलाक लेल निकलल मोटरसाइकिल जुलूस के हरी झंडी देखा कय रवाना केलनि।

    एसडीएम व डीएसपी दल बलक संग धनौजा सं पौना मोड़ तक जुलूस मे शामिल भय लोक के मानव श्रृखंला के ऐतिहासिक बनेबाक अपील केलनि। प्रखंड मुख्यालय सं एचएम, शिक्षक, जन वितरण प्रणाली के विक्रेता, साक्षर भारत अभियान स जुड़ल कर्मी, जनप्रतिनिधि, पैक्स अध्यक्ष सब मोटरसाइकिल जुलूस निकालिकय धनौजा गाम होइत मधवापुरक सीमा तक पहुंचलाह।

    बेनीपट्टी प्रखंडक 24 किलोमीटर मे बनय वला मानव श्रृखंला मे 42 हजार लोक के लगाओल जायत। मानव श्रृखंला के ऐतिहासिक बनेबाक लेल बीडीओ डॉ. अभय कुमार, प्रमुख सोनी देवी, राजद नेता राजेश यादव, पुलिस निरीक्षक प्रवीण कुमार मिश्रा, पुलिस निरीक्षक सह थानाध्यक्ष हरेराम साह, अड़ेर के थानाध्यक्ष किशोर कुनाल झा, पंचायती राज पदाधिकारी अरूण कुमार, उपप्रमुख अशोक कुमार चौधरी, एमओ दशरथ प्रसाद यादव, जदयू नेता कमलेश झा, पैक्स अध्यक्ष काशीनाथ झा मंगल, ललित कुमार, मुखिया अमरेंद्र कुमार मिश्र, मिथिलेश मिश्र, पंसस संतोष चौधरी, एचएम श्रीपति झा सहित बहुत रास लोक मौजूद छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here