मधुबनी नगर परिषद के विभिन्न मदक वसूली मे गिरावट

    0
    213

    मधुबनी, मिथिला मिरर: मधुबनी नगर परिषद के आंतरिक संसाधनक तहत विभिन्न मद मे गत दिसंबर माह तक 92 लाख 92 हजार 239 रुपैया वसूल कायल गेल अछि। जहन कि चालू वित्तीय वर्षक समाप्ति मे महज तीन माह अवशेष बचल अछि। अहि तीन माह मे नगर परिषद के 01 करोड़ 05 लाख 28 हजार 745 रुपैया वसूल करबाक लक्ष्य अछि। यदि नगर परिषद अवशेष उक्त राशि मार्च 2017 तक वसूल करबा मे सफल होईत अछि त लक्ष्यक शत-प्रतिशत उपलब्धि दर्ज करबा मे कामयाब होयत।

    हालांकि नगर परिषद के लेल फिलहाल ई काज मुश्किल अछि। चालू वित्तीय वर्षक नौ महिना मे कुल मांगक विरूद्ध मात्र 46.88 फीसदी वसूल करबा मे जहन कामयाबी भेटल अछि त एहेन स्थिति मे तीन महिना मे 53.12 फीसदी वसूल करनाई कठिन काज अछि।

    आंतरिक संसाधन के तहत वित्तीय वर्ष 2015-16 के बकाया 42 लाख 35 हजार 983 रुपैया तथा वित्तीय वर्ष 2016-17’क मांग 01 करोड़ 55 लाख 85 हजार 01 रुपैया अर्थात कुल मांग 01 करोड़ 98 लाख 20 हजार 984 रुपैया चालू वित्तीय वर्ष मे वसूल कायल जेनाय अछि। कुल मांगक विरूद्ध दिसंबर तक मात्र 92 लाख 92 हजार 239 रुपैया वसूल कायल गेल अछि, जे कुल मांगक 46.88 फीसदी अछि।है।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here