तीन टा सैटेलाइट कैमरा सं होयत मानव श्रृंखलाक निगरानी

    0
    206

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे शराबबंदिक समर्थन मे 21 जनवरी कय विशाल मानव श्रृंखलाक आयोजन कायल जा रहल अछि। 21 जनवरी कय दुपहर सवा बारह बजे सं 1 बजे तक अहि के लेल समय निर्धारित कायल गेल अछि। बिहार सरकार अहि आयोजनक सेटेलाइट सं फोटोग्राफी करबाओत। यानि तस्वीरक लेबाक जिम्मा फोटोग्राफर, ड्रोन कैमराक संग-संग सैटेलाइट कैमरा पर सेहो रहत।

    अहि के लेल बुधदिन बिहार सरकारक अधिकारी इसरोक अधिकारी के संग चर्चा केलनि। बिहार सरकारक मुख्य सचिव अंजनी कुमार सिंह कहलनि जे, 21 जनवरी कय दिनक सवा 12 बजे स 1 बजे तक पूरा बिहार मे मानव श्रृंखला बनत।

    इस कार्यक्रम मे 2 करोड़ सं अधिक लोकक शामिल हेबाक अनुमान अछि। जानकारीक अनुसार इसरो के तीन टा सेटेलाइट सं मानव श्रृंखलाक फोटोग्राफी होयत। आयोजनक लेल राजधानी समेत बिहारक सब जिला मे तैयारी शुरू अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here