मटियातेल कूपन नहि भेटलाक कारने ग्रामीण केलक अंचल अधिकारीक घेराव

    0
    192

    दरभंगा, मिथिला मिरर-फखरे आलम: घनश्यामपुर प्रखंड अंतर्गत बुढ़ैब इनायतपुर पंचायत के ग्रामीण, मुखिया आ डीलर अंचल कार्यालय पर अंचल पदाधिकारी के घेराव केलक। ग्रामीणक आरोप अछि जे, किराशन तेलक कूपन पूरा ग्रामीण के नहि भेटल अछि।

    तमसायल ग्रामीण अंचल अधिकारी शंभु ठाकुर सं किराशनक कूपन नहि भेटलाक कारण पूछलनि, मुदा अंचल अधिकरी सबहक सवाल के टालैत अहि पर कार्यवाई करबाक बात कहलनि। जकरा बाद ग्रामीण महिला प्रखंड प्रमुख मुंद्रिका देवी सं भेंट कय अहि बातक जानकारी देलक। जाहि के बाद प्रखंड प्रमुख द्वारा जल्द सं जल्द अहि समस्याक समाधान करबाक आश्वासन पर ग्रामीणक तामस शांत भेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here