दरभंगा मे प्रधानमंत्री सड़क योजनाक रख-रखाव पर दिशा समितिक बैसक

    0
    217

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक सांसद कीर्ति आजादक अध्यक्षता मे दिशा समितिक बैसक समाहरणालय सभा कक्ष मे आयोजित कायल गेल। बैसक मे विधायक ललित कुमार यादव, अमरनाथ गामी, डॉ. फराज फातमी, जिला परिषद् अध्यक्ष गीता देवी के अलावा नगर परिषद् अध्यक्षक प्रमुख एवं संबंधित अधिकारी उपस्थित छलाह।

    जिलाधिकारी डॉ. चंद्रशेखर सिंह दिशाक गठन के जानकारी दैत कहलनि जे, केन्द्र पर आयोजित योजनाक प्रभावी एवं समयबद्ध विकासक लिए सांसद, विधानमंडल सदस्य, पंचायती राज आ नगर पालिका के निर्वाचित प्रतिनिधिक बीच बेहतर समन्वय सुनिश्चत करबाक उद्देश्य सं ग्रामीण विकास मंत्रालय भारत सरकार द्वारा जिला विकास समन्वय आ निगरानी समित गठित कायल गेल अछि, जकर नाम दिशा अछि। ओ कहलनि जे, दिशा के दर्जा ग्रामीण विकास मंत्रालय द्वारा फिलहाल अधिदेशित जिला सतर्कता आ निगरानी समिति स ऊपर होयत।

    बैसक के अध्यक्षता करैत सांसद आजाद कहलनि जे, केन्द्र, राज्य आ स्थानीय सरकारक सौंपल गेल जिम्मेदारी के संवैधानिक व्यवस्थाक तहत विकास समन्वय एवं निगरानी के बढ़ावा देबाक लेल दिशा एकटा व्यवस्था अछि। ई बैसक प्रत्येक तिमाही मे कम सं कम एक बेर आयोजित कायल जेबाक चाही। बैसक मे मनरेगा, दिन दयाल उपाध्याय ग्रामीण कौशल योजनाक समीक्षा कायल गेल। ओतहि प्रधानमंत्री ग्रामीण सड़क योजनाक तहत बनि रहल सड़कक रख-रखावक लेल ग्रामीण कार्य विभागक कार्यपालक अभियंताक विरूद्ध तल्ख टिप्णी कायल गेल आ रख-रखावक लेल सख्त निर्देश देल गेल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here