मुजफ्फरपुर मे 2 गोट थानेदार पर जानलेबा हमला

    0
    199

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे खाकी वर्दी अपराधी के निशाना पर अछि। मुजफ्फरपुर मे दू टा थाना प्रभारी पर कातिलाना हमलाक खबरि प्रकाश मे आयल अछि। प्राप्त जानकारीक अनुसार गोपालगंज के दू गोट थाना प्रभारी पर फरसा सं हमला कायल गेल। दूनू गोपलागंज सं मुजफ्फरपुर मे सादी वर्दी मे छापेमारी करबाक लेल आयल छल।

    हमलावर कुचाई कोट थाना प्रभारी महेंद्र कुमारक बामा हाथ काटला के संग माँथ पर सेहो वार कय गंभीर रूप स घायल कय देलक अछि। ओतहि मुहम्महदपुर के थाना प्रभारी मुन्ना कुमार यादव के कान काटि देलक अछि। अहि के अलावा होमगार्डक जवान कृष्णा यादव के भीड़ मे लाठी डंडा सं पिटाई कय देलक।

    कुचाई कोट थाना प्रभारी महेंद्र कुमारक फरसाक चोट सं हाथ्‍ा कटल अछि आ हुनकर हालात गंभीर बनल छन्हि। दूनू थाना प्रभारी कुख्यात अजय राय (शराब टैंकर माफिया) के ओतय छापेमारी करबाक लेल ओकर गाम पारू थाना इलाका के ठेंकपुर पहुंचल छल। तखनहि ई हमला कायल गेल अछि। फिलहाल पुलिस पूरा मामलाक जांच मे जुटल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here