मधुबनी मे मानव रहित फाटक पर ट्रेन सं टकरायल स्कूली बस, 8 गोट बच्चा घायल

    0
    297

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहारक मधबुनी जिला मे मंगलदिन स्कूल बस आ ट्रेनक टक्कर मे आठ गोट बच्चा घायल भय गेल। दुर्घटना लौकहाक समीप मानवरहित फाटक पर भेल, जतय सवारी गाड़ी सं स्कूल बस टकरा गेल।

    घटना मंगलदिन भोर करीब सात बजे के अछि। हादसा के समय बस पर करीब 20 गोट बच्चा सवार छल। एकटा निजी स्कूलक बस मानव रहित फाटक पर बिना सावधानी बरतैत गुजरय लागल आ ओहि समय ट्रेन झंझारपुर सं लौकहा दिस जा रहल छल।

    हालांकि हादसा के समय ट्रेनक स्पीड पंद्रह किलोमीटर प्रति घंटा छल। ट्रेनक गति कम हेबाक बावजूद ट्रेन आ बसक टक्कर भय गेल। हादसा मे आठ बच्चा के घायल हेबाक खबरि अछि। सब बच्चा के डीएमसीएच रेफर कय देल गेल अछि।

    ठोकरक बाद गाड़ी गुमटी के कात मे लागल लोहा के खंभा के कारण नहि पलटल। जाहि इलाका मे घटना घटल ओ छोटी लाइन अछि। अहि कारण ट्रेनक गति कम रहैत अछि। स्कूलक प्राचार्य रेखा कुमारी के अनुसार स्कूलक दिस सं सब बच्चाक इलाज कराओल जा रहल अछि।है.

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here