जीएमएसएस उच्च विद्यालय’क प्रधानाध्यापक के पुतला फूंकल गेल

    0
    243

    मधुबनी, मिथिला मिरर: छात्र राजद नगर अध्यक्ष नेमतुल्लाह खान उर्फ तुल्लाह के नेतृत्व मे जीएमएसएस हाई स्कूल के मैदान मे स्कूलक हेड मास्टर डॉ. विश्वनाथ पासवानक पुतला दहन कायल गेल। मौका पर नुक्कड़ सभा के संबोधित करैत वक्ता कहलनि जे, स्कूलक मैदान के रखरखाव मे हेड मास्टर द्वारा जानिबुझि कय उदासीनता बरतल जा रहल अछि।

    मैदान पार्किंग स्थल बनि गेला सं छात्र-छात्रा के परेशानीक सामना करय पड़ि रहल अछि। मैदान के खेल लायक नहि बनायल गेला सं खेल आयोजन बाधित भय गेल अछि। मैदानक रखरखाव के नाम पर भेल खर्चक जांच कराओल जाय। मौका पर जीतू, सोनी, राहुल, सोनू, लड्डू, नीतेश, सूरज, सुभाष सहित अन्य मौजूद छल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here