मुजफ्फरपुए मे विषाक्त चाय आ पावरोटी खेला सं तीन बच्चाक मौत

    0
    231

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर थाना क्षेत्रक तालिमपुर गाम मे रविदिन विषाक्त चाय तथा पावरोटी के सेवन सं तीन गोट बच्चाक मौत भय गेल। ओतहि दू गोट बच्चा जिंदगी आ मौत सं जूझि रहल अछि। मरय वला मे विक्की कुमार (पांच) तथा विवेक उर्फ भोला कुमार (सात) विजय राय के पुत्र छल। जहन कि प्रियांशु कुमारी (तीन) मीनापुर के कोईली भड़ाव निवासी शत्रुघ्न रायक पुत्री छल। अन्य दू गोट पीड़ित मे विजय के भागिन आ भगिनी अछि। चिकित्सक विषैला पदार्थ सं मौतक बात कहलक अछि।

    घटना के विषय मे बताओल जा रहल अछि जे, विजय के बहिन बच्चाक जन्म देने छल। अहि कारण ओ अन्य बच्चाक संग नैहर आयल छली। घर मे भोर मे चाह बनल छल। बच्चाक जिद पर पावरोटी मंगाओल गेल। पावरोटी-चाय लेबाक बाद बच्चाक हालत बिगड़य लागल। सब के मीनापुर पीएचसी लोल गेल। मुदा, एतय सं एसकेएमसीएच रेफर कय देल गेल।

    अस्पताल अबैत-अबैत विक्की आ विवेक दम तोड़ि देलक। ओतहि प्रियांशु के मौत इलाजक दौरान भय गेल। शत्रुघ्न रायक दोसर पुत्री गुड़िया कुमारी (सात) आ हथौड़ी थानाक नरमाडीह राम एकबाल राय के पुत्र सुबोध कुमार (10) के इलाज चलि रहल अछि।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here