भागलपुर मे मध्याह्न भोजन योजना मे करोड़ो’क गड़बड़ी

    0
    206

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर जिला मे मध्याह्न भोजन योजना मे करोड़ोंक गड़बड़ी उजागर भेल अछि। मध्याह्न भोजन योजनाक कार्यालय के लेल मकान के देल गेल गेलअछि किराया तक मे अनियमितता कायल गेल अछि। स्कूल मे बढ़ा-चढ़ा कय बच्चाक उपस्थिति दर्ज कराओल गेल अछि। लाखोक खर्च हेबाक बात कहल गेल त कर्मीक सेवा समाप्त हेबाक बाद सेहो भुगतान कय देल गेल।

    जिला मे चलि रहल मध्याह्न भोजन योजना के गत 16 सं 28 नवंबर तक लेखा परीक्षा भेल छल। अहि मे चारि सदस्यीय लेखा परीक्षाक सदस्य तमाम कागजात जाँच केने छल। अहि दौरान गड़बड़ी सामने आयल। अहिके लय परीक्षाक बाद महालेखाकार कार्यालय मध्याह्न भोजन योजनाक निदेशक, जिला शिक्षा पदाधिकारी तथा मध्याह्न भोजन योजनाक जिला कार्यक्रम पदाधिकारी के पत्र प्रेषित कायल।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here