समस्तीपुर मे पुलिसक खिलाफ आरोप लगाकय चक्का जाम केलक ग्रामीण

    0
    178

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर के कहलगांव पुलिस पर बर्बरताक आरोप लगबैत रविदिन विभूतिपुर थाना क्षेत्रक मोहमदपुर सकरा पंचायत के तरूनिया गामक लोक सड़क पर उतरि गेल। स्थानीय लोक उपेंद्र राय के पुत्र ट्रक चालक मुकेश कुमार (32) के हत्याक आरोप लगा रहल छल। ओ सब भागलपुर पुलिस पर बर्बर रवैया अख्तियार करबाक कारण के मुकेशक मौतक कारण बता रहल छल।

    परिजन के मुआवजा के मांग के लय रोसड़ा-दल सहसराय पथ के कल्याणुर चौक, तरूनियन चौक आ मुस्तफापुर चौक के समीप सात बजे भोर सं सड़क जाम कय देल गेल। संगहि पुलिसक खिलाफ नारेबाजी कायल गेल। लोकक कहब छल जे, भागलपुर पुलिस मुकेश के पीट-पीटकय हत्या करबाक बाद मामला के रफा-दफा करबाक लेल लहास के नदी मे फेंक देलक, आ नदी मे डूबलाक कारण मौत बता रहल अछि।

    ग्रामीणक कहब अछि जे, जा धरि भागलपुर के कहलगांव पुलिसक खिलाफ कोनो कार्रवाई नहि होयत आ मृतकक परिजन के मुआवजा नहि भेटत सड़क जाम जारी रहत।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here