चाणक्य विद्यापति सोसाइटी कराओत 500 बच्चाक यज्ञोपवीत संस्कार

    0
    399

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: चाणक्य विद्यापति सोसाइटी आगामी 30 अप्रैल कय 500 बच्चाक सामूहिक यज्ञोपवीत संस्कार कराबय जा रहल अछि। ई जानकारी रविदिन मालीघाट स्थित प्रधान कार्यालय मे बैसक के बाद सोसाइटीक संरक्षक पंडित शंभूनाथ चौबे देलनि। ओ कहलनि जे, पारंपरिक संस्कार सं विलग हेबाक परिणाम अछि जे, आय समाज मे अनुशासन देखबाक भेटैत अछि।

    यज्ञोपवीत महोत्सव सनातन समाज मे संस्कार के मजबूत करत। छात्र नेता संकेत मिश्रा कहलनि जे, सोसाइटी सतत नीक काज करबाक लेल तत्पर अछि। सचिव संजीव कुमार झा कहलनि जे, उक्त तिथि कय सामूहिक विवाहक कार्यक्रम सेहो राखल गेल अछि। अहि के लेल पंजीकरण शुरू अछि। उक्त अवसर पर स्मारिकाक विमोचन सेहो होयत।

    बैठक मे शैलेंद्र झा, इंद्रकात ठाकुर, मनमन त्रिवेदी, अजयानंद झा, स्नेह कुमार झा उर्फ ‘पिंकू’, नवीन झा, पं. देवचंद्र झा, मुन्ना रफी, अशोक झा, जितेंद्र झा, सुरेंद्र नाथ ठाकुर, शशिशेखर झा, विनोद कुमार झा, राघवेंद्र झा राही, सतीश चंद्र झा आदि उपस्थित छलाह।

    LEAVE A REPLY

    Please enter your comment!
    Please enter your name here